श्रीमती रुबी झा- मिथिला सांस्कृतिक संरक्षण एवं संवर्धन लेल यथासाध्य सलग्न रहैत छथि

हम अपने सब स श्रीमती रुबी झा क संक्षेप में परिचय दिऽ जा रहल छी । दरभंगा जिला अन्तर्गत उजान गामक सोनपुर टोल निवासी श्री भोलादत्त झाक पुत्री ,जिनका नेनहिं सँ कलात्मक अभिरुचि रहलाक कारण,मिथिला चित्र कला ,विधि-व्यवहार,अरिपन, तथा भिन्न-भिन्न कला शैलिक प्रति आकर्षण स्वभाविक रुप सँ रहलैन्हि। हिनका सँ जुड़ल प्रत्यैक वर्ग के मिथिला कला एवं संस्कारक प्रति जागरुक आर प्रशीक्षित करवाक उद्येश सँ निःशुल्क प्रशिक्षण देवाक प्रयाश रहल।
हिनक दुटा पुस्तक सपता -विपता,तथा मिथिला विभुति अयाचि,मैथिली ,हिंदी में चित्र कथा संग छपल अछि।एहि पुस्तक कें पं० शशिनाथ झाक द्वारा संपादित कैऽल गेल । संगहि हिनक सदत प्रोत्साहन रहल। वर्तमान मुम्बई में मिथिला सांस्कृतिक संरक्षण एवं संवर्धन लेल यथासाध्य सलग्न रहैत छथि।

Visits: 618

One thought on “श्रीमती रुबी झा- मिथिला सांस्कृतिक संरक्षण एवं संवर्धन लेल यथासाध्य सलग्न रहैत छथि

  • March 1, 2020 at 11:07 pm
    Permalink

    बहुत सुन्दर !!

    Reply

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *