कोरोना के वैक्सीन बइन गेल ” इटली केलक दावा “


एक रिपोर्ट के मुताबिक़ इटली देश कोरोना के वैक्सीन बना ब के दावा केलक । अहि महामारी के वैक्सीन बना ब बला विश्व के प्रथम देश बनल “इटली” । रिपोर्ट के मुताबिक़ कोरोना के वैक्सीन के सफल परिक्षण रोम के ” स्पालनजानी” अस्पताल में मुस (चूहा) पर भेल । वैक्सीन देला के बाद मुस में एंटीबाडीज उत्पन्न भेलै । इ एंटीबाडीज कोरोना वायरस के खत्म क सकै य एहन दावा इटली के न्यूज़ चैनल केलक ।पहिले हो कतेक बेर दोसरो बिमारी के लेल बैज्ञानिक मुस पर परिक्षण केने छैथ, कियाक त मुस और आदमी के कोशिका करीब करीब एक्के तरह स काज करैत छई । न्यूज़ एजेंसी के मुताबिक़ वैक्सीन के परिक्षण अंतिम चरण में छई । भ सकै छई बिश्व स्वस्थ संघ (हु के सेहो अहि बिषय में बहुत जल्दी अपन बिचार रखता ।

अहाँ सब के जानकारी हयात जे किछ दिन पहिने अमेरिका सेहो वैक्सीन बनाब के दावा केने छल जे बिफल रहल ।
ओना त कोनो महामारी के वैक्सीन ब न में एक स डेढ़ साल लाइग जाइ छै । लेकिन आब मेडिकल साइंस एतेक विकशित भ गेल अछि जे इ दावा सहि भ सकै छई । ओना भगवान स सबकेउ मनबैते हयाब जे एकर वैक्सीन केउ बनाबै लेकिन जल्दी स जल्दी आम जनता के लेल उपलब्ध भ जाइ ।

Visits: 2899

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *