सुन्दर स्वरक मलिकाइन – रश्मी दास

रश्मि जी के संगीत के शौक बचपने स छलैन । गीत सुSन के लेल हरदम रेडिओ अपने लग में रखै छलखिन । एहि कारण हिनकर दादा जी हिनका संगीत पSढ़ के सलाह देलखिन । संगीत विषय स स्नातक प्रथम श्रेणी स उत्तीर्ण रश्मि जी के विवाह नेपाल के राजबिराज में भेलेन । भाषा के अंतर के कारण संगीत और दोसर कला में दिक्कत आSब लग लेन । फेर बेटी के जनम भेलेन और  बचिया के पालन पोषण के कारण संगीत किछ पाछा छुइट गेलेन। आब जखन बच्चा पैघ भेलेन त फेर स गीत संगीत  शुरू केलखिन ।  सोशल मीडिया पर हिनकर गीत लाखों बेर देखल आ सुनल गेल अछी ।

हम स्वयं हिनकर बहुत बड़का प्रसंसक छी । माँ सरस्वती के बहुत कृपा छेन हिनका ऊपर । कोयीली सन सुन्दर स्वर, स्वर कोकिला हिनका कहल जाइ  त कत्तौ स अनुचित नहीं। गीत के संग संग  बहुत सुन्दर चित्रकला से हो  बनबै छथिन ।

फसेबूक पेज “मिथिला महान” पर हिनकर गीत अपलोड होइते लाइक और शेयर के भरमार लाइगजाइ छै । हम  हिनका बहुत बहुत शुभकामना दै छियेन जे अपन कला स मिथिला और मैथिली के मान विश्व भरी में बढ़ेथिन ।

रश्मि जी के गीत सुन लेल मिथिला महान पेज के लिंक पर जाऊ https://www.facebook.com/mithilamahaan

रश्मि दास जी के चित्रकला

Visits: 2131

One thought on “सुन्दर स्वरक मलिकाइन – रश्मी दास

  • April 23, 2020 at 7:42 pm
    Permalink

    प्रशंसनीय है मिथिला महान। [email protected] d4

    Reply

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *